गुरुवार, 22 दिसंबर 2011

जरुरतिमंद लोककें भोजन वितरण

कौशल कुमार, सचिव, मैथिलि फाउन्डेशन, भोजन पाकिट निकलैत 

कौशल कुमार, सचिव, मैथिलि फाउन्डेशन, गरीब-गुरबा कें भोजन बाँटैट
विगत दिन मैथिली फाउण्डेशन कें द्वारा ठंढी मे जरुरतिमंद लोककें भोजन वितरित  कायल गेल.
लोकक मदति केनाई आ मैथिल आ मैथिलीकें प्रति लोककें सकारात्मक विचार तैयार केनाय मैथिली फाउण्डेशन के मूल आधार विचार अछि.
ज' अप्पन पहिचान बचाब' के अछि त' लोककें मदति करू , ज' संस्कृतिकें बचाब' कें अछि त' अप्पन जड़ी मजगूत करू आ ज' अप्पन जड़ी बचाब' के अछि त' अप्पन भाषा के गहिक' पकरू आ ज' भाषा आ समग्र अस्तित्व बचाबयकें अछि त' अप्पन लिपि, अप्पन लेखा अचाबय पडत.
कोनो संस्कृति के नीव ओकर साहित्य,भाषा मे नुकायल रहति छैक आ लिपि एकरा जानबा आ बुझाबकें बाट छै.

दुनियां मे जे अप्पन भाषा, संस्कृतिकें इज्जती केलक दुनियो ओकरे इज्जती केलक यथा लेलिन आ मार्क्स जकरा एतय लोक देवता माने अछि अपने भाषा मे अप्पन सिद्धांत देलकै नक़ल नै केलकै लोककें , शेक्सपीयर जकरा पढ़ीक' हम बड़का लोक अपना के बुझय छी ओहो अपने भाषा मे लिखलक, हालेमे गत भेला अछि भूपेन हजारिका ओहो असमी के बढौला त' हम-अहाँ आ दुनियां हुनका जनित छैन .

मैथिली फाउण्डेशनकें उद्देश्य ककरो दोष गनायब कथमपि नहिं आग्रह अछि जे अप्पन जीवन 
हमरो दिय'............
लगाइये नीक भोजन अछि ....
यापनकें लेल जे करैत छी से करैत रहू मुदा अपना माटि-पानि स' जुडल रहू आ अप्पन संस्कृतिकें जियाक' राखू इहे अस्सल धरोहरी छै.
अहुँ लिय'...

सुअदगर छै!

एकटा आरो पाकेट दिय'.......ठीक छै लेह..

बजरंग मंडल, व्यावसायिक प्रभारी,मैथिली फाउण्डेशन, भोजन वितरित करैत  


रिक्सावाला सब कें भोजन लेबाक लेल भीड़ लागल...

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें